‘कबीर आ हुनक मैथिली पदावली’मे पहिल बेर कबीरपर व्यवस्थित ढंगसँ विचार कएल गेल अछि जाहिमे एखन धरि भेल शोध सभक परिणाम संग नवीन विषय संधानपर सेहो पर्याप्त विचार प्रमाण पुरस्सर भेल अछि। अत्यन्त सजगताक संग वियोगीजी कबीरक मैथिली पदावलीक संकलन एवं पाठोद्धार कएने छथि। एहन पहिल बेर भेल अछि जे गहन अनुसंधानोपरान्त कबीरक डेढ़ सएसँ ऊपर मैथिली पद सुन्दर आ सुव्यवस्थित ढंगसँ प्रकाशित भेल अछि। Read more